मिथिला माटि महान छै।-गीत-

।मिथिला माटि महान छै।
         -गीत-
खेत अतऽ छै हरियर-हरियर,
आबि रिझौला एहिठाम हरी-हर।
प्रेमक कमला बलान छै,
प्रितक पान मखान छै।
इ मिथिला माटि महान छै...2
एहि माटिसँ जनमल सीता,
पाहुन रामक आंजूर गीता।
एहिठाम ज्ञानक खान छै,
कण कण में भगवान छै।
इ मिथिला माटि महान छै...
भोला बनिक जाकर एला,
विद्यापति रचि मैथिली गेला।
अत् ऊगना अस्थान छै,
प्रेम भक्ति केर गाण छै।
ई मिथिला माटि महान छै...
मैथिली अतऽ केँ मिठगर भाषा,
पढ़ु लिखु सभ इ अभिलाषा।
एक सँ एक विद्वान छै,
मैथिली अपन पहिचान छै।
इ मिथिला माटि महान छै...
SHARE

Gopal Sharma

Hi. I’m maithili blogger. I’m CEO/Founder of maithilifans.in. I’m posted hindu punchang, maithili poem hin di , result, political news, funny jokes quets, bhakti, Business , hd wallpapers, helth tips, my madhubani page admin. maithili film city youtube chainal .

  • Image
  • Image
  • Image
  • Image
  • Image
    Blogger Comment
    Facebook Comment

0 comments:

Post a Comment